राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
जनकपुर, ८ अगहन : मधेश आन्दोलनक शहिद परिवारक सदस्यसभ रोजगारीके मांग करैत मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद् कार्यालय आगू प्रदर्शन केलक अइछ । उक्त आन्दोलनमे मधेश प्रदेशसँ ५२ गोटे शहिद भेल छल ।
सात वर्ष पहिने मधेश प्रदेश सरकारके पहिल मन्त्रिपरिषद्के बैसार शहिद परिवारके एक÷एक गोटेकेँ रोजगार देबाक निर्णय कएलोपर हालधैर कार्यान्वयन नै भेलासँ शहिद परिवारक सदस्य आन्दोलित भेल छैथ ।
मुख्यमन्त्री कार्यालय आगू कएल प्रदर्शनमे प्रदेशक आठू जिलाक शहिद परिवारक सदस्यसभ सहभागी भेल छल । ओसभ प्रदेश सरकार मांग पूरा कएलाधैर घर नै जेबाक चेतावनी देलैन ।
शहिद परिवारक सदस्य रामनरेश राय यादव मुख्यमन्त्री सतिशकुमार सिंहकेँ पहिल मन्त्रिपरिषद्के निर्णय कार्यान्वयन करबाक लेल बेरबेर आग्रह कएलोपर बेवास्ता केलाक बाद आन्दोलन करबा लेल मजबुर भेलाैँ से उपराग व्यक्त केलैन ।
हुनक अनुसार ५२ शहिद परिवारके एक÷एक सदस्यकेँ रोजगार देबाक सरकारक निर्णय कएल सेहो सात साल बित चुकल मुदा कायान्वयन नै भेल अइछ । किछ शहिद परिवारकेँ मात्र करारके नोकरी देल गेल अइछ । मुदा हुनकासभकेँ सेहो हटेबाक प्रयास भ रहल ओ बताैलैन ।
यादव कहलैन, “सरकारद्वारा भेल निर्णयअनुसार सब शहिद परिवारक एक÷एक सदस्यकेँ स्थायी नोकरीके व्यवस्थापन करबाक मांग हमरासभके अइछ ।” मांग पूरा नै कएलाधैर हमसभ फेर सहादत देब यादव चेतावनी सेहो देलैन ।
–––










