काठमाण्डू, २१ कातिकः ‘नहाए–खाए’ सङे अइ सालक महापर्व छैठ मङ्गलदिन सुरु भेल छल । बुधदिन साँझ खरनासङे परिवारक मुख्य महिला तथा अन्य श्रद्धालुसभ व्रतसङे पूजा करबाक प्रण करैत छैथ आ सूर्यकेँ सन्ध्याकालीन तथा दोसर दिन प्रातःकालीन अर्घके बाद पारन होइत अइछ । एकरबाद मात्र पवनैतिनसभ व्रत विसर्जन क छैठके औपचारिक समापन होइत अइछ। अइ बेर मात्र नै सब बेर एहिना कएल जाइ छै । अइ अर्थमे कहबै त ई पावैन चाइर दिनक छी, जे चाइर दिनधैर बहुत उत्साह तथा उमङ्गसँ मनाएल जाइ छै।
एखनि किछ समयसँ छैठ राष्ट्रिय मात्र नै, अन्तर्राष्ट्रियकरण होब लागल अइछ । हाल ई महापर्व विश्वमे जत मैथिली आ भोजपुरी भाषी छैथ, ओत मनाएल जाइ छै । मूलतः सूर्योपासनासँ सम्बन्धित ई पावैन प्रकृति पूजनसँ सम्बद्धित अइछ । ई पावैनक माध्यमसँ प्रकृति जे जीवनदायिनी छियै, जीवन सञ्चालक छियै, प्रति आभार व्यक्त कएल जाइ छै। एतेक मात्र नै सूर्य, जकर प्रत्यक्ष जाग्रत देवताकरुपमे स्वीकार करै छै, हुनक अनुपस्थितिमे अइ जगत्केँ सञ्चालन असम्भव अइछ, प्रकृतिप्रति मानवके अनुग्रह भाव प्रदर्शित करैत आभार व्यक्त करबाक पावैन छी छैठ ।
सूर्यके उपासना त विश्वक बहुतेक देश आ बहुत संस्कृतिमे भेटैत अइछ मुदा सूर्य पत्नी उषा आ सन्ध्या अर्थात् डुबैत आ उगैत दुनु सूर्यकेँ उपासना होबबला सांस्कृतिक पावैन सम्भवतः छैठ मात्र छी । एहनमे सुन्दर भविष्यके अपेक्षासहित उगैत सूर्यकेँ शक्तिके उपासना मात्र नै, बरु विगतके शक्ति जकर कारणसँ ई सृष्टि आ सभ्यता अस्तित्वमे अइछ, आजुक अवस्थाधैर आइब गेल अइछ । तकरे प्रति अर्थात् डुबैत शक्तिकेप्रति अर्थात विगतकेपुर्खाप्रति सेहो आदर सत्कारके भाव प्रकट करबाक पावैन छी ई । ई पावैनके केन्द्रीय पूजनीय तत्व सूर्य छी । सूर्यकेँ शक्ति मानल जाइ छै। अइ आधारमे ई पावैन शक्तिके पावैन सेहो छी । सूर्य ऊर्जाक केन्द्र छी । अहि उर्जासँ प्रकृति—सृष्टि सञ्चालित अइछ । ऊर्जाके अनुपस्थितिमे जीवन सञ्चालन नै भ सकैत छै । अइ आधारमे सूर्यप्रति अनुग्रहित होबबला पावैनकरुपमे छैठ पावैनके महत्व अइछ ।
मिहि ढङ्गसँ विश्लेषण करबै त ई पावैन वैज्ञानिक मान्यतामे आधारित अइछ । ई पावैन मनेबाक प्रक्रियामे आ अपनाएल जाएबला विधिसभ विज्ञानसम्मत देखाइत अइछ । आध्यात्म एहन पक्ष छी जे पराशक्तिप्रतिके सम्मान, समर्पण आ आस्था जोड़ल रहै छै । श्रद्धा तथा विश्वासके नाममे कताै ने कताै भयसँ बनल मान्यतासभ अपनेबाक लेल बाध्य बनबैत रहल । छैठ पावैनके विश्लेषण करब त आध्यात्मभित्रमे रहल भय आ त्राश छै, जे विज्ञान आधारित स्थापित मान्यतासभके अनुशरण करबाक समाजकेँ बाध्य बनाैने अइछ अथवा कहिक प्रेरित केने अइछ । तहिना एकटा विज्ञान आधारित सन्दर्भ छी, डुबैत आ उगैत सूर्यके उपासना । विज्ञान प्रमाणित केन अइछ जे, सूर्य उगैत आ डुबेत समयमे प्रसारित होबबला किरण जीवनकलेल बहुतेक उपयोगी अइछ । ई किरणके अभावमे जीवन सभ्यताके निरन्तरता सम्भव नै अइछ ।
छैठ पावैनकेँ एहन अनेक वैज्ञानिक अवधारणासँ जोइड़ सकैत छी । दोसर पक्ष अइछ जल संरक्षण आ स्वच्छता । एखनि विश्वमे जलवायु परिवर्तनक कारण सिर्जना भेल आ होबबला सम्भावनाक असरसँ आक्रान्त अइछ । जलवायु परिवर्तनके न्यूनीकरणके अनेक उपाय खोइज रहल अइछ, वर्तमान विश्व । अइबारे विश्वकेँ सचेत बनेबाक उद्देश्यसँ बेसीए जनधनके लगानीमे वार्षिक रूपेँ विश्व सम्मेलन भेल करैत अइछ। ई वर्ष सेहो छैठके लगले अजरवैजानके बाकुमे एहने सम्मेलनके आयोजना भ रहल अइछ।
छैठक प्रवर्तकसभ मानव समाज आ सभ्यता बचेबाक लेल हजारौँ वर्षसँ पहिने (छैठ पावैन कहियासँ अस्तित्वमे आएल छै ? यकिन नै अइछ) जलवायु परिवर्तनके सम्भाव्य अवस्था आ तकर असरबारे सचेतना देखाएलैथ । जल आ जलाधारके संरक्षण करबाक आ प्रकृति बचेबाक वैज्ञानिक आवश्यकताबारे पूर्वज तहिये चिन्ता आ जागरूकता प्रकट केलक । तहिना आध्यात्मिक आस्था तथा विश्वासकेँ अइ कारण माध्यमकरुपमे एकर प्रयोग केलक ।
ई पावैन कहियासँ मनेबाक शुरु भेल तकर यकिन एखनो नै भ सकल अइछ । ई पावैनके उपासना विधिके विश्लेषण करैत गेलापर ई पावैन मूलतः प्रकृति पूजनसँ सम्बन्धित भेल बुझाइत अइछ । ई पावैन जलाशय, नदी, पोखरी, ताल तलैया लगायतकजलस्रोत क्षेत्रमे उपस्थित भ सूर्यके उपासना क मनाबैत छैथ । पावैन मनेबाक क्रममे जलस्रोत आ सम्बन्धित क्षेत्रके शुद्धता आ सफाइमे विशेष ध्यान देल जाइत छै । ई शुद्धता आ सफाइके काज जल जीवनदायिनी छी आ एकर संरक्षण आ शुद्धता सृष्टिके कल्याणक लेल अत्यन्त जरूरी अइछ ।
अइ पावैनमे अर्पण कएल वस्तुसभ प्रकृतिमे आधारित अइछ । तहिना उइख, गाछी सहितके हरदी आ तखन उपलब्ध अन्य कृषि—खाद्य सामग्री । अइसँ प्रकृतिके सम्मान करबाक पाठे सिखाबैत अइछ । मूलतः नेपालक मध्य तथा पूर्वी तराई—मधेशमे उत्साह आ श्रद्धापूर्वक मनाएल जाएबला महापर्व छैठ उगैत आ डुबैत सूर्यके उपासना क मनाएल जाइ छै । अइ पावैनमे डुबैत सूर्यले विगतके स्मरण करैत आत्ममूल्याङ्कन करब आ उगैत सूर्यकेँ सुन्दर आ स्वस्थ्य भविष्यके निर्माणमे करबामे अभिप्रेरित हेबाक विश्वास रहैत अइछ । ई पावैनकेँ स्वास्थ्य, निरोगिता आ सन्तानप्राप्ति आ कल्याण तथा परिवारके उन्नति आ रक्षाक लेल पावैन श्रद्धापूर्वक मनाबैत अइछ । निश्कर्षमे कहि त वैज्ञानिक दृष्टिसँ ई पावैनके महत्वकेँ एहिनो उल्लेख क सकैत छी ।
– ई शुद्धता, स्वच्छता आ स्वच्छताक महत्वपर जोर दैत अछि, जे स्वास्थ्य आ कल्याणक लेल आवश्यक अछि।
– ई पावैन पर्यावरणके सन्तुलन आ संरक्षणके सन्देश सेहो देने अइछ, जे प्राणीजगतके लेल आवश्यक अइछ । प्रकृतिप्रति आदर भावके उद्देश्य पर्यावरणके संरक्षणक सन्दर्भमे जनचेतना जागृत करब अइछ।
– प्रकृति सबके छी । ई सामूहिक सम्पदा छी । एकर उपयोग सब कियो करए सकैत छी आ कोनो आधारमे केकरो प्रकृतिके सदुपयोगसँ वञ्चित नै करबाक चाही,से सन्देश सेहो अइ पावैनके छी ।
– जल, जीवन छी से महत्वपूर्ण सन्देश ई पावैन देने अइछ ।
– भोर आ साझँ सूर्यके किरण मानव स्वास्थ्यकलेल उपयुक्त होइत छै से सन्देश इहो पावैनमे निहित अइछ ।
सूर्य आ प्रकृति जेना केकरोसँ भेदभाव नै करै छै । तहिना छैठ पावैन सेहो केकरो भेदभाव नै करै छै । पूजा आ उपासनामे केकरो निषेध नै करैछै । छैठ घाटमे मधेशी मात्र उपस्थित नै होइ छै । मात्र हिन्दू सेहो उपस्थित नै होइ छै । मात्र सम्पन्न आ धनिक सहभागी नै रहै छै । जाइतपाइतक आधारमे छुवाछूत नै देखाइत अइछ। छैठ पावैनप्रतिके आस्थामे केकरोमे विभेद्के अनुभूति नै होइ छै । सबहब आत्मसम्मान आ प्रतिष्ठासहित जीवनयापन करऔक, छैठ पावैनके ईएह सन्देश विश्लेषण करब निश्कर्षमे आएत —सर्वजन हिताय सर्वजन सुखाय ।
धर्मेन्द्र विह्वल
(लेखक राससके कार्यकारी अध्यक्ष छैथ)
–––










