एमाले

हमर लक्ष्य मिशन–८४ छै, अवरोध कएनिहारके हिसाब होएत : प्रधानमन्त्री

राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
काठमाण्डू, १४ अखारः प्रधानमन्त्री एवम् नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)क अध्यक्ष केपी शर्मा ओली पार्टीक महाधिवेशनके समय नै भेल, कतोको स्वार्थी तत्वसभ भीतरसँ महाधिवेशनके व्यवहार जकाँ क रहल कहलैन ।

जननेता मदन कुमार भण्डारीक ७४म जन्मजयन्तीक अवसरमे चन्द्रागिरी नगरपालिका–१३, कङ्कालीमे आयोजित राष्ट्रिय युवा सङ्घक वृक्षारोपण कार्यक्रम उद्घाटन करैत अध्यक्ष ओली कहलैन “पार्टीक लक्ष्य एकल बहुमत सहित ‘मिशन–८४’ अइछ आ एहि लक्ष्यमे अवरोध कएनिहारक हिसाब-किताब जरूर कएल जाएत ।”

ओ कहलैन, “हम अर्जुन दृष्टिसँ मिशन–८४क अभियानमे अग्रसर छी । हमर स्वार्थ देशक समृद्धि, विकास आ सुशासन छी । एहन समयमे जत सब एकजुट भ आगू बढ़बाक चाही, ओत महाधिवेशन नै भ महाधिवेशनमे गेल जकाँ करब जरूरी नै अइछ ।”

ओली आगू कहलैन, “हमर कार्यकर्तासभकेँ महाधिवेशन नै चढल छै, किछु स्वार्थी तत्वकेँ मात्र चढल अइछ । हमसभ ओहनके पाछाँ नै चलब ।”

प्रधानमन्त्री ओली कहलैन जे शिक्षक, विद्यार्थी आ अभिभावकसभक कठिन मेहनतसँ एहि वर्षके एसइई नतिजामे बितल वर्षक तुलनामे १४ प्रतिशतसँ बेसी विद्यार्थी सफल भेल छैथ आ अगिला वर्ष आओर बेसी सुधार आनबाक लक्ष्यसँ काज कएल जाएत ।

मौका परीक्षामे सहभागी होएबला छात्रसभ आ अगिला एसइई परीक्षा लेल देशभैर प्रमुख विषयसभमे निःशुल्क अनलाइन कक्षा सञ्चालन कराएल जेबाक ओ जानकारी देलैन ।

पब्लिक प्रेस न्यूजडेस्क

"पब्लिक प्रेस न्यूज डेस्क" यस अनलाइन पोर्टलको आधिकारिक समाचार इकाई हो। यो न्यूज डेस्कले मुख्यतया मधेश प्रदेश, विशेष गरी सप्तरी जिल्ला र आसपासका राजनीतिक, सामाजिक, धार्मिक तथा समसामयिक घटनाहरूलाई समेट्ने गर्दछ।

जवाफ लेख्नुहोस्

तपाईँको इमेल ठेगाना प्रकाशित गरिने छैन। अनिवार्य फिल्डहरूमा * चिन्ह लगाइएको छ

Back to top button