मैथिली समाचार

सञ्चय कोषद्वारा पाँच अरब ३४ करोड़ मुनाफा वितरण

पब्लिक प्रेस ।
राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
काठमाण्डू, २२ चैतः कर्मचारी सञ्चय कोष वितल आर्थिक वर्षमे आर्जन कएल कुल मुनाफासँ सञ्चयकर्ता तथा योगदानकर्ताकेँ करिब पाँच अरब ३४ करोड़ टका मुनाफा वितरण केलक अइछ । सञ्चयकर्ताके खातामे करिब पाँच अरब २७ करोड़ टका आ योगदानमे आधारित निवृत्तभरण कोषक योगदानकर्ताके खातामे करिब छ करोड़ ४३ लाख टका मुनाफा जमा कएल गेल कोष जनौलक अइछ ।

कोष सञ्चालक समितिके इएह चैत १७ गतेके बैसारमे आव २०८०/८१ के वित्तीय विवरण स्वीकृत करैत सञ्चयकर्ता तथा योगदानकर्तासभके व्यक्तिगत खातामे रहल प्रारम्भिक मौजदात नगदमे एक दशमलव १० प्रतिशतके दरसँ नगद मुनाफाके रूपमे वितरण करबाक निर्णय कएने छल ।

कोष प्रत्येक आर्थिक वर्षमे आर्जन कएल कुल मुनाफाके ९२ प्रतिशत नगद सञ्चयकर्ताके लेल मुनाफा आ कल्याणकारी प्रयोजनक लेल वितरण करैत अइछ । बाँकी नगद विभिन्न जगेडा कोषमे राखल गेल अइछ ।

कोष सञ्चयकर्ता तथा योगदानकर्ताकेँ चालु आर्थिक वर्षमे सञ्चित नगदमे पाँच दशमलव ५० प्रतिशतके दरसँ व्याज प्रदान क रहल छल तँ सञ्चित नगदके सुरक्षणमे सञ्चयकर्ता तथा योगदानकर्ता कोषसँ छ दशमलव ६० प्रतिशत व्याजमे सञ्चित नगदके ९० प्रतिशतधैर विशेष पैँचा लेबाक व्यवस्था केलक अइछ ।

कोष सञ्चयकर्ता तथा योगदानकर्ताके सेवाकालके आवश्यकता परिपूर्ति करबाक उद्देश्य विगतसँ विशेष, घर, शैक्षिक, घर मर्मत, सरल आ जमीन खरिदके लेल पैँचा समेत उपलब्ध कराबैत आएल अइछ ।

सञ्चयकर्ताके अलगेसँ योगदान नै करबाक हिसाबेँ कोष अपने स्रोतसँ सञ्चयकर्ता दम्पतीकेँ स्वास्थ्य इलाज सोधभर्ना सुविधा उपलब्ध कराबैत आएल अइछ । तहिना, किरियाकर्म अनुदान, परसाैती तथा शिशु स्याहार सुविधा, दुर्घटना क्षतिपूर्ति अनुदानसहितके सामाजिक सुविधा प्रदान करैत आएल अइछ । एहि अन्तर्गत वितल आवमे परसाैती तथा शिशु स्याहार सुविधा १४ करोड़ ६५ लाख टका, किरियाकर्म अनुदान दू करोड़ ८२ लाख टका, दुर्घटना क्षतिपूर्ति दू करोड़ १४ लाख टका, स्वास्थ्य इलाज सोधभर्ना ३४ करोड़ ६५ लाख टका आ विशेष आर्थिक सुविधाबापत निजामतीदिस ४७ सञ्चयकर्ताकेँ करिब ७० लाख टका प्रदान कएल गेल कोष जनौलक अइछ ।

हाल कोषमे पाँच लाख ७५ हजार सञ्चयकर्ता आ ८० हजार ४०० निवृत्तभरण कोषके योगदानकर्ता छैथ ।
—

पब्लिक प्रेस न्यूजडेस्क

"पब्लिक प्रेस न्यूज डेस्क" यस अनलाइन पोर्टलको आधिकारिक समाचार इकाई हो। यो न्यूज डेस्कले मुख्यतया मधेश प्रदेश, विशेष गरी सप्तरी जिल्ला र आसपासका राजनीतिक, सामाजिक, धार्मिक तथा समसामयिक घटनाहरूलाई समेट्ने गर्दछ।

जवाफ लेख्नुहोस्

तपाईँको इमेल ठेगाना प्रकाशित गरिने छैन। अनिवार्य फिल्डहरूमा * चिन्ह लगाइएको छ

Back to top button