सुधा देव/रासस
सप्तरी, १७ भादब: रामकुमार यादव अपन तीनू भाएके एके बेर घर आइब सकबाक व्यग्र प्रतीक्षामे छैथ। सप्तरीक बोदेबरसाइन नगरपालिका–८ काचनके यादव परिवारक जेठ बेटा रामकुमार भोटेकोशी बाइढ़ अएलासँ सम्पर्कविहीन रहल भाएसभ घर आएबाक वा कोनो जानकारी अएबाक प्रतीक्षा क रहल बतौलैन।
हुनक तीनू भाए रसुवामे रहल अपर त्रिशूली–१ जलविद्युत् आयोजनामे काज करैत छल। मझिला भाए ३५ वर्षीय शिव कुमार यादव सुपरभाइजर, सझिला भाए ३१ वर्षीय देव कुमार यादव इञ्जिनियर आ छोटका २५ वर्षीय सचित ओभरसियरके पदमे काज करैत छल।
“घरमे एक हप्तासँ भंसा नै छै, भाएके चिंतासँ मन व्याकुल छै”, राम कुमार कहलैन। “भाएसभ एखनोधैर सम्पर्कमे नै आएल छैथ, मुदा एखनो हुनक आशमे हमसभ घर आएत से प्रतीक्षामे छी”, ओ कहलैन।
हुनक ७० वर्षीय माए बेरबेर ‘बेटासभकेँ ल क आबू, बेटासभ बिना कोना रहब’ कहैत बेहोश भ जाइत छै स्थानीय विनोद साह बतौलैन। हुनक पत्नीसभके अवस्था सेहो दुःखद अइछ। पतिसभ कहियो तँ भेटत आ कोनो समाचार तँ आएत, अइ प्रतीक्षामे ओसभ छैथ।
मझिला शिवकुमारके वियाह भेल पाँच वर्ष भ चुकल अइछ आ हुनकर दूटा सन्तान सेहो छैथ। सझिला बेटा देवकुमारके वियाह इएह वैशाखमे भेल छल। छोटका बेटा सचितके वियाह नै भेल छल। तीनू पुत्र रसुवामे काज करए लागलाक बाद यादव परिवार सुखी छल।
बाइढ़ आएल दिन भोरमे शिवकुमारक पत्नीसँ बातचीत भेल छल। बाइढ़ आबैबला कोनो सङ्केत नै छल। अनचोक्के ओ सम्पर्कविहीन भ गेल, हुनकर पत्नी बतौलैन।
पिता लालबहादुर बेटासभके खोजीक लेल रसुवा गेल चाइर दिन बित गेल अइछ। बेटासभसँके कतौ कोनो खबर नै भ सकल, लालबहादुर कहलैन।
ओहि परिवार जकाँ विष्णुपुर गाउँपालिका–१ खुरहुरियाक ३६ वर्षीय इञ्जिनियर अजय कुमार यादवके परिवारके दरद सेहो ओहिना अइछ। अजय सेहो बाइढ़ आएले दिनसँ लापता छैथ। ओ रसुवा जिलाक उत्तरगया गाउँपालिका–५ स्थित नीलकण्ठ माध्यमिक विद्यालय, बोगटीटारमे शिक्षक छलैन।
ओ ओहिठाम डेरा ल क रहैत छल। बाइढ़ आएल दिनसँ अजय सम्पर्कमे नै आएलाक बाद हुनकर घरमे मौनता पसरल अइछ। घरमे भंसा नै भ सकल छै। परिजनसभ एकटा आश दैत छैथ मुदा हुनकर माए-बाबू बेर-बेर चिंतासँ बेहोस भ जाइत छैथ आ आन परिवारजन चिन्तित छैथ।
हुनकर ममियौत भाए संचारकर्मी श्यामसुन्दर यादव अजयके खोजीमे रसुवाधैर पहुँचल छल।कतेक पुछताछ केलक, मुदा भाए सम्बन्धमे कोनो खबर नै लागल ओ कहलैन। फेसबुकपर सेहो कतेको बेर आग्रह केलैन जे किनको मालूब होएत या देखब तँ जानकारी देब। रसुवाक मेलुङ्ग–५ स्थित एमभी हाइड्रोपावरमे कार्यरत शुरूङ्गा नगरपालिका–२ क सरोज चौधरी सेहो भोटेकोशीमे आएल बाइढ़ बाद सम्पर्कविहीन छैथ।
हुनकर अवस्थाक बारेमे यथाशीघ्र सार्वजनिक करबाक लेल परिवार सम्बन्धितसभ पक्षसँ आग्रह कएने अइछ। शुरूङ्गा नगरपालिका–७ बसानपट्टीके एक माए-बेटा सेहो बाइढ़के बाद सम्पर्कविहीन छैथ। बसानपट्टीक दुर्गानन्द रामक पत्नी गीता राम आ हुनकर तीन वर्षके बेटा दिवस कुमार राम बाइढ़के बाद सम्पर्कविहीन छैथ।
दुर्गानन्द राम करीब तीन वर्ष पहिने मोटरसाइकल ग्यारेजमे काज करबाक लेल पत्नी आ बेटा सहित नुवाकोटक त्रिशूली बजारमे रहैत छल। दुर्गानन्द राम सकुशल छैथ, मुदा माए आ बेटा एखनो सम्पर्कविहीन छैथ।
इएह बीच नुवाकोटक हाइड्रोपावरमे मजदूरी क रहल खडक नगरपालिका–५ रञ्जितपुरक २८ वर्षीय सन्तोष चौधरीक मृत्यु भेल पुष्टि भेल अइछ। हुनकर शव गण्डकी अस्पताल, कास्की, पोखरामे पहिचान भेल सप्तरीक सहायक प्रमुख जिला अधिकारी नरेश कुमार यादव बतौलैन। ओ कहलैन, “बेपत्तासभके खोजीके काज जारी छै। कोनो सूचना प्राप्त भेलापर पीड़ित परिवारकेँ तुरन्त जानकारी देब।”
बाइढ़के कारण बोदेबरसाइन नगरपालिकाके करीब ४८ गोट व्यक्ति एखनधैर सम्पर्कमे नै आइब सकलाक बाद हुनकर परिवार पीड़ित छैथ। शुरूङ आ टनेलमे फँसल व्यक्तिकेँ तत्काल उद्धार करबाक पीड़ित परिवार सरकारसँ माँग कएने छैथ।
मधेश प्रदेश प्रहरी कार्यालयक मङ्गलदिनक तथ्याङ्अनुसार रसुवा बाइढ़मे १६४ गोट एखनो सम्पर्कविहीन छैथ। १९५ गोट बेपत्ता भेल मध्ये ३० गोट सम्पर्कमे आइब चुकल छैथ। एक गोटक मृत्यु भेल पुष्टि भेल अइछ। सप्तरीक ४९ गोटे मध्ये एक गोट सम्पर्कमे आएल आ एक गोटक मृत्यु भेल अइछ।
रसुवाक भोटेकोशी नदीमे आएल बाइढ़के कारणसँ जनधनके क्षति, एक गोटके मृत्यु आ ४८ गोट सम्पर्कविहीन भेलाक बाद सम्पूर्ण सप्तरी एखन शोकमे डूबल अइछ।





