पब्लिक प्रेस ।
राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
महेन्द्रनगर (धनुषा), २३ चैतः राष्ट्रिय मानवअधिकार आयोग, मधेश प्रदेश कार्यालय बितल आर्थिक वर्ष २०८१/८२ के वार्षिक प्रतिवेदन प्रदेश प्रमुखसमक्ष पेस केलक अइछ ।
आयोगक मधेश प्रदेश कार्यालय प्रमुख बुध नारायण सहनी आइ जनकपुरधाममे आयोजित कार्यक्रममे नेपालक संविधानके धारा २९४ के उपधारा (३) बमोजिम प्रदेश प्रमुख सुरेन्द्र लाभसमक्ष उक्त प्रतिवेदन पेस केलैन ।
प्रतिवेदन ग्रहण करैत प्रदेश प्रमुख लाभ मानव अधिकार संरक्षण राज्यके महत्त्वपूर्ण दायित्व भेल उल्लेख करैत आयोगद्वारा उठाएल गेल विषयवस्तुकेँ गम्भीरतापूर्वक अध्ययन करबाक बतौलैन । तहिना, मानव अधिकारक संरक्षण तथा प्रवर्द्धनक लेल आवश्यक पहल करबाक ओ प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन ।
उक्त प्रतिवेदनमे मधेश प्रदेशमे मानव अधिकारक अवस्था, चुनौती तथा सुधारक लेल आवश्यक सुझाव समेटल गेल अइछ ।









