राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
पब्लिक प्रेस :
राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) उपसभापति डिपी अर्यालकेँ कार्यवाहक सभापतिक जिमेवारी देल गेल अइछ। पार्टीक केन्द्रीय सचिवालयमे भेल बैसारमे ई निर्णय लेल गेल।
उच्च अदालत तुलसीपुर बुटवल इजलासद्वारा पार्टीक सभापति रवि लामिछानेकेँ शुक्रदिन साँझ गिरफ्तार कएल गेलाक बाद तुरते सचिवालयक बैसार आयोजित भेल। बैसारमे अदालत आ निर्णयके सदैव सम्मान करैत, संविधान आ कानूनक आधारपर न्यायक दोसर तह आ प्रक्रिया दिस आगू बढ़बाक निर्णय कएल गेल अइछ।
तेँ, चैत २३ गते शैनदिन दुपहर २ बजे चितवनक भरतपुरमे आयोजना भ रहल सभाकेँ शान्तिपूर्ण आ सौम्य बना क रखबाक दिशा निर्देशन सेहो बैसारद्वारा देल गेल अइछ।