समाचार

लामिछाने रूपन्देही कारागार चलान

पब्लिक प्रेस ।
राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
भैरहवा (रूपन्देही), २५ चैतः राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)के सभापति एवम् गोर्खा मिडिया नेटवर्कके तत्कालीन प्रबन्ध निर्देशक रवि लामिछाने कारागार चलान भेल छैथ । दू दिन जिला प्रहरी कार्यालय, रुपन्देहीके हिरासतमे रहल लामिछाने आइ जिला कारागार चलान भेल अइछ ।

आइ भोर जिला अदालत पेश क आवश्यक प्रक्रिया पूरा क हुनका कारागार चलान कएल गेल अइछ । अदालत पेश कएलाक बाद हुनका थुनुवा पुर्जी देने छल ।

जिला प्रहरी कार्यालयक प्रहरी नायब उपरीक्षक (डिएसपी) सुरज कार्कीके नेतृत्वके टोली लामिछानेकेँ अदालत पेश भेललगले थुनुवा पुर्जीके प्रक्रिया पूरा क कारागार पहुँचाएल गेल छल । जिला प्रहरीके टोली सोमदिन भोर कार्यालय समय भेलाक बाद बुटवल पहुँच क उच्च अदालतके आदेशक ‘मिसिल’ लेने छल । ‘मिसिल’ ल भैरहवा अनलाक बाद जिला प्रहरीके हिरासतसँ लामिछानेकेँ अदालत पेश कएल गेल छल ।

जिला कारागारक प्रशासक सुरेश भण्डारीक अनुसार करिब एक घण्टाधैर कारागारमे लामिछानेके स्वास्थ्य परीक्षण कएल गेल । तकरबाद लामिछानेकेँ कारागारके ब्लक नं ४ मे राखल गेल अइछ । ओइ कारागारमे एखन लामिछाने मात्रे रहल प्रशासक भण्डारी बतौलैन ।

लामिछानेकेँ राखल गेल कक्ष अन्य कैदीबन्दीकेँ भवनसँ बाहर छै । शुक्रदिन राइत काठमाण्डूमे पकड़ाएल लामिछानेकेँ शैनदिन भोर भैरहवा आनल गेल छल । दू दिन बिदा भेलाक बाद हुनका शैनदिन आ रैवदिन जिला प्रहरी कार्यालय, रुपन्देहीके हिरासतमे राखल गेल छल ।

आइ भोर अदालत जाएसँ पहिने सदरमुकाम भैरहवाके सुरक्षा व्यवस्था कड़ा बनाएल गेल छल । जिला प्रहरीसँ अदालत जाएबला रस्ता आ अदालत परिसर अगलबगल नेपाल आ सशस्त्र प्रहरी तैनाथ कएल गेल छल ।

तहिना, जिला कारागार परिसर आ अगलबगल सेहो जेरगर सङ्ख्यामे सुरक्षाकर्मी परिचालन कएल गेल छल । बुटवलके सुप्रिम सहकारी ठगी आ सङ्गठित अपराधसम्बन्धी मुद्दामे उच्च अदालत तुलसीपुर बुटवल इजलास शुक्रदिन थुनावामे राखबाक आदेश देलाक बाद प्रहरी लामिछानेकेँ गिरफ्तार कएने छल ।

जिला अदालत रूपन्देहीकेँ एक करोड़ टका धरौटी द मुक्त करबाक आदेशकेँ बदर करैत उच्च अदालत लामिछानेकेँ थुनामे पठेबाक आदेश देने अइछ । वितल माघ १३ गते जिला अदालत रूपन्देही रवि लामिछानेकेँ एक करोड़ धरौटी नगद मांग कएने छल तँ छविलाल जोशीकेँ माघ २९ गते पुर्पक्षके लेल कारागार चलान कएने छल ।

समान प्रकृतिके मुद्दामे एगोकेँ धरौटी आ दोसरकेँ थुना भेलाक बाद सरकारी वकिल कार्यालय लामिछानेकेँ सेहो थुनामे राखैके मांग करैत उच्च अदालत पहुँचल छल ।

पब्लिक प्रेस न्यूजडेस्क

"पब्लिक प्रेस न्यूज डेस्क" यस अनलाइन पोर्टलको आधिकारिक समाचार इकाई हो। यो न्यूज डेस्कले मुख्यतया मधेश प्रदेश, विशेष गरी सप्तरी जिल्ला र आसपासका राजनीतिक, सामाजिक, धार्मिक तथा समसामयिक घटनाहरूलाई समेट्ने गर्दछ।

जवाफ लेख्नुहोस्

तपाईँको इमेल ठेगाना प्रकाशित गरिने छैन। अनिवार्य फिल्डहरूमा * चिन्ह लगाइएको छ

Back to top button