मैथिली समाचार

करारमे कार्यरत स्वास्थ्यकर्मीकेँ तलब देबाक मुख्यमन्त्रीक निर्देशन

राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
पब्लिक प्रेस :

मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतिश कुमार सिंह छात्रवृत्ति करार सेवामे अस्पताल आ स्थानीय तहअन्तर्गत कार्यरत चिकित्सक आ स्वास्थ्यकर्मीसभके बहुत दिनसँ नै पाएल तलब तुरत भुक्तानी करबाक निर्देशन देलैन अइछ ।

मुख्यमन्त्री सिंह प्रदेश सरकारक स्वास्थ्य आ जनसङ्ख्या मन्त्रालयकेँ निर्देशन देलैन “सङ्घ सरकारसँ आवश्यक बजेट प्राप्त भ गेल छै, तँए प्रक्रिया पूरा क क दू–तीन दिनक भीतर तलब वितरण सुनिश्चित करबाक निर्देशन देलैन।

ओ कहलैन “भविष्यमे करारपर कार्यरत चिकित्सक आ स्वास्थ्यकर्मीकेँ तलब भुक्तानीमे देरी नै होए, ताहि लेल मन्त्रालयकेँ विशेष सतर्कता अपनाबै लेल कहने छी। “

मुख्यमन्त्रीक प्रतिबद्धताक अनुसार आब करार स्वास्थ्यकर्मीसभक तलब समस्याक समाधान होएब निश्चित मानल जा रहल अइछ, आ कार्यरत कर्मचारीसभकेँ नियमित रूपसँ सेवामे खटबाक आग्रह कएल गेल अइछ।

नेपाल चिकित्सक सङ्घ, मधेश प्रदेश समितिकेँद्वारा करारमे कार्यरत चिकित्सक आ स्वास्थ्यकर्मीसभक समस्याक समाधान लेल कएल गेल पहल प्रति मुख्यमन्त्रीकेँ धन्यवाद देने अइछ।

पब्लिक प्रेस न्यूजडेस्क

"पब्लिक प्रेस न्यूज डेस्क" यस अनलाइन पोर्टलको आधिकारिक समाचार इकाई हो। यो न्यूज डेस्कले मुख्यतया मधेश प्रदेश, विशेष गरी सप्तरी जिल्ला र आसपासका राजनीतिक, सामाजिक, धार्मिक तथा समसामयिक घटनाहरूलाई समेट्ने गर्दछ।

जवाफ लेख्नुहोस्

तपाईँको इमेल ठेगाना प्रकाशित गरिने छैन। अनिवार्य फिल्डहरूमा * चिन्ह लगाइएको छ

Back to top button